तारानन्द वियोगी कए साहित्य अकादेमी पुरस्कार

मैथिली बाल साहित्य लेल भेटल पुरस्कार

नई दिल्ली । तारानन्द वियोगीकए मैथिली बाल साहित्य लेल पहिल साहित्य अकादेमी पुरस्कार 2010 इ भेटल त की भेटल लेल देल जा रहल अछि। ई भेटल त की भेटल मैथिली लोक रंग (मैलोरंग), दिल्ली द्वारा 2008 ई. मे प्रकाशित कएल गेल अछि। ई पुरस्कार 14 नवम्बर 2010 कए बाल दिवसक अवसरपर देल जाएत। एहिमे 51 हजार टका देल जाएत।
15 जनवरी 1966 मे बदरिकाश्रम, महिषी, सहरसा मे जनमल वियोगी क पहिल पोथी अपन युद्धक साक्ष्य (गजल संग्रह) 1991 मे प्रकाशित भेल छल। अन्य पुस्तक हस्तक्षेप (कविता-संग्रह), अतिक्रमण (कथा-संग्रह), शिलालेख(लघुकथा संग्रह), कर्मधारय, ई भेटल त की भेटल। राजकमल चौधरीक कथाकृति एकटा चंपाकली एकटा विषधर संकलन-संपादन केने छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments