ताज ग्रुप खोलत पटना मे सात सितारा होटल

नई दिल्‍ली। ताज ग्रुप पटना मे एकटा सात सितारा होटल खोलबा लेल प्रयासरत अछि। बिहार राज्य सरकार क एकटा पैघ अधिकारी क गप पर ज्‍यों विश्वास करि त इ ग्रुप बिहार मे पहिल सात सितारा होटल अगिला किछु साल मे खोलि लेत। ज्ञात हुए जे द टाटाज-लेड इंडियन होटल कम्पनी जे ताज ग्रुप नाम स अपन ब्रांड चला रहा अछि।
द स्टेट इन्वेस्टमेन प्रमोशनल बोर्ड क मुख्य सचिव अफज़ल अमानुल्लाह एहि संबंध मे कहला अछि जे ताज ग्रुपक पटना मे एकटा होटल खोलबाक प्रस्ताव आयल अछि, जेकरा राज्य सरकार मंजूर क देलक अछि। आब इ ग्रुप एहि होटल लेल सात एकड़ जमीन ताकि रहल अछि आ जमीन भेटलाक बाद निर्माण काज शुरू भ जाएत। अमानुल्लाह कहलथि जे इ बिहार मे पहिल सात सितारा होटल होएत। आ एहि होटल कए खुजला स पर्यटनक क्षेत्र मे उतरोत्तर वृद्धि होएत। ताज ग्रुप क इ डेग निश्चित रूपेण एकटा विकसित बिहार क व्यवसायिकता कए बढ़ावा दैत। ज्ञात हुए जे बिहार क प्रगति कए देखैत मेक्स ग्रुप सेहो बिहार मे एकटा सुपर स्पेस्लिस्ट अस्पताल खोलबाक लेल जमीन ताकि रहल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments