तय भेल नालंदा विश्वविद्यालय क वास्तुशिल्प

1
4

New-Nalanda-University-Projectपटना : नालंदा विश्वविद्यालय क डिजाइन तय क लेल गेल अछि। नालंदा विश्वविद्यालय परिसर क डिजाइन वास्तुशिल्प कन्सलटेंट्स तैयार करत। इ फर्म एकरा लेल आयोजित वास्तुकला डिजाइन प्रतियोगिता जीत लेलक अछि। राजगीर मे प्रस्तावित नालंदा विश्वविद्यालय क परिसर क मास्टर प्लान आ वास्तुकला डिजाइन लेल भेल प्रतियोगिता आयोजित कैल गेल छल। जाहि मे कुल आठटा वास्तुविद आ वास्तुकला डिजाइन बनेनिहार फर्म प्रस्तावित विश्वविद्यालय लेल ड्राईग आ डिजाइन क प्रस्ताव जमा केने छलथि। ज्यूरी एहि मे स दूटा प्रविष्टि कए चुनलक फेर दूनू प्रस्ताव पर विचार कैलाक बाद गुजरातक वास्तुशिल्प कल्सलटेंट्स क चयन कैल गेल। चयन क आधार नालंदा विश्वविद्यालय क विजन कए आगू ले जेबाक योग्यता छल्ल। ज्यूरी कए विजेता प्रविष्टि प्राचीन नालंदा क काफी निकट लागल।
ज्यूरी क सदस्य मे सिंगापुर क पूर्व चीफ टाउन प्लान डा एल्टी केर, वासेडा विवि जापान क प्रो आसामु इषियामा, सिंधुआ विवि बींजीग क प्रो ली जिआओडांग आ अहमदाबाद क सीईपीटी विवि क प्रो नीलकंठ छाया क अतिरिक्त सांसद एन के सिंह, प्रो लार्ड मेघनाथ देसाई और नालंदा विवि क कुलपति डा गोपा सभरवाल छलीह।
आठो प्रविष्टि 8 स 18 मई तक नयी दिल्ली क इंडिया गेट लग अवस्थित नेशनल गैलरी आफ मोर्डन आर्ट, टेम्पोरेरी गैलरी, ब्लाक-टू, न्यू विंग मे आम लोक कए देखबा लेल राखल जा रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

1 COMMENT

Comments are closed.