तय भेल अंतरराष्ट्रीय बिहार म्यूजियम क प्रारूप

पटना। अंतरराष्ट्रीय बिहार म्यूजियम क प्रारूप आखिरकार तय भ गेल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटना मे प्रस्‍तावित अंतरराष्ट्रीय बिहार म्यूजियम पर आधारित एकटा पावर प्वाइंट प्रस्तुतिकरण आ ओकर माडल कए देखलाक बाद एकरा मंजूरी द देलथि। मुख्यमंत्री आवास क विमर्श कक्ष मे लार्ड कल्चरल रिसोर्सेस क वरीय सलाहकार सुश्री वतूल राज मेहता आ माइकल वैन एकरे, प्रोजेक्ट आर्किटेक्ट माकि एंड एसोसिएट्स एकरा तैयार केलक अछि। प्रस्तुतिकरण आ माडल देखलाक बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार निर्देश देलथि जे एहि अंतरराष्ट्रीय स्तर क संग्रहालय क निर्माण गुणवत्ता क संग कराउल जाए। योग्य अभियंता स निर्माण कार्य क सूक्ष्म अनुश्रवण कराउल जाए ताकि इ संग्रहालय अत्यधिक सुंदर, आकर्षक रूप मे सबहक सामने आ सकए। संग्रहालय क उद्घाटन क लक्ष्य 22 मार्च 2015 राखल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे 22 मार्च कए राज्य मे बिहार स्थापना दिवस क आयोजन होइत अछि।
एहि अवसर पर मुख्यमंत्री कहला जे पटना क प्राचीन पटना संग्रहालय क बाहरी आवरण काफी सुंदर आ आकर्षक अछि मुदा एहि मे इंटीरियर डेकोरेशन क आवश्यकता अछि। बिहार संग्रहालय क संग-संग पटना संग्रहालय कए सेहो विकसित करबाक जरूरत अछि। कला आ संस्कृति विभाग क सचिव चंचल कुमार मुख्यमंत्री कए संग्रहालय क डिजायन, आर्किटेक्ट आ संग्रहालय मे संग्रहित पारदर्श क संबंध मे जानकारी देलथि। कला संस्कृति मंत्री सुखदा पांडेय मुख्यमंत्री कए कहलथि जे प्रस्तावित बिहार संग्रहालय क निर्माण पर करीब चार सौ करोड़ खर्च होएत। एहि मे सांस्कृतिक कार्यक्रम लेल अलग स गैलरी होएत। मुदा ओ एहि पर कोनो चर्च नहि केलथि जे उत्‍तर बिहार मे स्थित दूटा संग्रहालय क योगदान स एहि प्रस्‍तावित संग्रहालय में अलग से मिथिला या सीता गैलरी बनाउल जाएत बा नहि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments