तमिलनाडु मे फेर बिहारी मजदूर बनल बंधक

करगहर (रोहतास) । तमिलनाडु मे एक बेर फेर बिहारी मजदूर कए बंधक बनाउल गेल अछिबंधक बनाये गए अछि। तमिलनाडु क तीरूपुर स्थित श्रीकृष्णा कॉटन कम्पनी मे कार्यरत मजदूर मे स किछु कए मुक्त करेबा लेल गुहार जिला प्रशासन लग पहुंचल अछि। एकर बाद रोहतास जिला प्रशासन हरकत मे आयल आ तमिलनाडु प्रशासन स संपर्क कए रहल अछि। मिल मालिक क गुर्गा क चंगुल स भागि निकलल करगहर प्रखंड क बाउर ग्राम निवासी रामअवध पासवान क पुत्र सुशील पासवान स्टेशन स अपन परिजन कए एहि गपक सूचना देलथि अछि। ओ बिहार क किछु दोसर जिला क करीब चारि दर्जन मजदूर क एखन धरि बंधक बना रखबाक दावा केलथि अछि। सुशील क संग गाम क शशि पासवान, अरुण पासवान आ मानिक पासवान सेहो ओहि मे शामिल छथि। स्थानीय थाना कए देल गेल सूचना क आलोक मे थानाध्यक्ष संजय कुमार झा कहला जे वरिष्ठ अधिकारी कए मामला स अवगत करा देल गेल अछि आ ओ अपन स्तर स सेहो मजदूर कए जल्द मुक्त करेबाक प्रयास क रहल छथि। डीएम अनुपम कुमार कहला जे एहि संबंध मे तमिलनाडु प्रशासन स सम्पर्क कैल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments