डॉ सबरवाल नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क पहिल कुलपति नियुक्त

नई दिल्ली। नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क पहिल कुलपति लेडी श्रीराम कॉलेज मे समाज शास्त्र क प्रोफेसर डॉ गोपा सबरवाल कए बनाउल गेल अछि। हुनकर कहब अछि जे इ बहुत रोचक हेबाक संग-संग बहुत जिम्मेदारी बाला काज अछि। ओ कहला- हमर प्राथमिक काज नालंदा मैंटर समूह जे रुपरेखा सोचलक अछि ओकरा सच्चाई मे तब्दील करब अछि। संगहि इ हमरा लेल सौभाग्य क गप अछि जे हम एहन प्रतिभावान लोक क मार्गदर्शन पर काज करब। ज्ञात हुए जे नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय क पहिल विजिटर पूर्व राष्टपति एपीजे अब्दुल कलाम कए बनाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments