डॉ रामदेव झा क साहित्य अकादमी पुरस्कार

पटना । साहित्य अकादमी साल मैथि‍ली भाषा क लेल साल 2014 आ 2015 क पुरस्कार घोषणा कए देने अछि । वर्ष 2015 क बाल साहित्य पुरस्कार मैथि‍ली क प्रकाण्ड विद्वान आ भाषाविद्द दरभंगा क डॉ रामदेव झा क देल गेल अछि । हुनका इ पुरस्कार हुनकर बाल कथा संग्रह ‘हसनी पान-बजंता सुपारी’ क लेल देल गेल अछि । पुरस्कार क रूप मे हुनका 50 हजार टका आ प्रस्सति पत्र देल जाएत । हिनकर संगे साहित्य अकादमी क युवा मैथि‍ल पुरस्कार नारायण झा क पोथी ‘प्रतिवादी हम’ के लेल देल । साल 2014 क भाषा सम्मान आर्चाय मुनीश्वर झा क देल गेल अछि । मुनीश्वर जी क सम्मान स्वरूप एक लाख टका आ प्रस्सति पत्र देल जाएत । इसमाद परिवार सेहो सभ गोटे क चुनाव पर साहित्य अकादमी क धन्यवाद दैत अछि । संगही चयनित प्रतिभागी क रास बधाई ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments