डॉ गुहा बनलाह आर्यभट्ट ज्ञान विवि क प्रथम कुलपति

पटना। पटना विश्वविद्यालय क भौतिकी विभाग क सेवानिवृत प्रोफेसर आ पटना साइंस कॉलेज क पूर्व प्राचार्य डॉ शंभुनाथ गुहा कए आर्यभट्ट विश्वविद्यालय क प्रथम कुलपति बनाउल गेल अछि। डॉ गुहा क नियुक्ति स संबंधित अधिसूचना उपसचिव ओंकार नाथ आर्य क हस्ताक्षर स जारी भेल। डॉ गुहा क कार्यकाल योगदान क तिथि स तीन वर्ष क लेल होएत। नवनियुक्त कुलपति कहला जे नव विश्वविद्यालय क काज हुनका शून्य स शुरू करबाक अछि, मुदा हरसंभव प्रयास करि ओकरा मुकाम तक पहुंचेनाइ अछि। ज्ञान विश्वविद्यालय क लेल वित्तीय वर्ष 2010-11 मे 390 लाख कर्णाकित अछि। विश्वविद्यालय क जे ड्राफ्ट तैयार अछि ओकर मुताबिक राज्य भर क मेडिकल, इंजीनियरिंग, प्रबंधन आ अन्य प्रोफेशनल पाठयक्रम क संचालन आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय क अधीन होएत। विश्वविद्यालय क संचालन मानव संसाधन विकास विभाग द्वारा होएत आ एकर मुख्यालय राजधानी मे होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments