डॉ अजीत बनलाह एलएन मिश्र संस्थान क निदेशक

पटना। ललित नारायण मिश्र आर्थिक विकास एवं सामाजिक परिवर्तन संस्थान क नव निदेशक क रूप मे डॉ अजीत प्रसाद क चयन कैल गेल अछि। सरकार हिनकर नाम कए हरी झंडी द देलक। एहि संबंध मे शीघ्र अधिसूचना जारी होएत। मुख्यमंत्री सचिवालय स भेटल जानकारी क मुताबिक दिल्ली क इंटरनेशनल मैनेजमेंट इंस्टीच्यूट मे इकोनामिक्स एंड कारपोरेट स्टडीज क प्रोफेसर डॉ अजीत प्रसाद कए निदेशक क रूप मे चयन कैल गेल अछि। ओ केएएच सुब्रमणियन क जगह लेताह। पूर्व मुख्य सचिव सुब्रमणियन कए राष्ट्रपति शासन क दौरान 1 जून, 2005 कए तत्कालीन राज्यपाल सरदार बूटा सिंह संस्थान क निदेशक नियुक्त केने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments