डेढ़ साल मे तैयार भ जाएत पटना एम्स

पटना । केन्द्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय एम्स क तैयार हेबाक कार्यक्रम तय करि देलक अछि। तय कार्यक्रमक अनुसार एम्स मे चिकित्सक क आवास क काज एहि साल जून तक जखनकि मेडिकल कॉलेज क निर्माण नवंबर मे पूरा भ जाएत। मेडिकल कॉलेज क बाद 2012 तक अस्पताल क सेहो निर्माण पूरा करि लेल जाएत। एहि प्रकार स उम्मीद कैल जा रहल अछि जे पटनाक एम्स मे अगिला साल स इलाज संभव भ सकत। एहि संबंध मे राज्य क स्वास्थ्य मंत्री अश्विनी कुमार चौबे कहला जे पिछला सप्ताह हैदराबाद मे आयोजित स्वास्थ्य मंत्रीक बैठक मे राज्य सरकार केन्द्रीय स्वास्थ्य मंत्री स पटना क एम्स क निर्माण कए शीघ्र पूरा करबाक आग्रह केने छल। ओ कहला जे केंद्र सरकार क एहि घोषणा स उम्मीद जगल अछि जे 820 करोड़ क लागत स बनि रहल एम्स क निर्माण कार्य अगिला साल पूरा करि लेल जाएत। ओ कहला जे एम्स कए समय पर पूरा करनिहार निर्माण कंपनी कए बोनस सेहो देल जाएत आ समय पर काम नहि करनिहार कंपनी क निविदा राशि मे कटौती क सेहो फैसला लेल गेल अछि। चौबे कहला जे आशा क बीच फरवरी माह क आखिरी सप्ताह मे दवा पेटी क वितरण कैल जाएत। संगहि पटना मे फरवरी माह मे एकटा हेल्थ प्रोमोटर क सम्मेलन भ रहल अछि। 25 जनवरी स 28 फरवरी तक ग्राम स्वास्थ्य चेतना यात्रा निकालत। यात्रा क शुभारंभ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 25 जनवरी कए करताह। 26 जनवरी स इ यात्रा प्रारंभ होएत। बिहार मे दस हजार शिविर आ प्रतिदिन 10 स 25 शिविर लगाउल जाएत। यात्रा क दौरान सबटा स्वास्थ्य उपकेन्द्र मे शिविर, स्वच्छता समिति क बैठक, महादलित टोला, गरीब अल्पसंख्यक बस्ती मे सेहो शिविर लगेबाक योजना अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments