डेस्टिनेंशन बिहार- एक्सपो 18 फरवरी स

Bihar Expoपटना । बिहार इंडस्ट्रीज एसोसिएशन (बीआईए) आ उद्योग विभाग, बिहार क संयुक्त तत्वावधान मे पांच दिवसीय डेस्टिनेशन बिहार-एक्सपो क आयोजन 18 फरवरी स गांधी मैदान मे कैल जाएत। एहि मे राज्य क बदलि रहल बहुआयामी छवि कए प्रस्तुत करबा आ राज्य मे निवेश कए आकर्षित करबाक उद्देश्य स औद्योगिक प्रदर्शनी लगाउल जाएत।
इ जानकारी बीआईए क अध्यक्ष रामलाल खेतान देलथि अछि। जानकारी क अनुसार 19 फरवरी कए उद्योग दिवस, 20 फरवरी कए आधारभूत संरचना दिवस आ 21 फरवरी कए पर्यटन दिवस क रूप मे मनाउल जाएत आ एहि स संबंधित विषय पर सेमिनार आयोजित कैल जाएत। किए जाएंगे। एक्सपो में लगभग 250 स्टॉल लगाए जाएंगे। एहि मे निजी क्षेत्र क पैघ औद्योगिक इकाइ क स्टॉल लागत। श्री सीमेंट्स, आईटीसी, कल्याणपुर सीमेंट, सोबिस्को बिस्कुट, एसआईएस, रुचि सोया, स्पीडक्राफ्ट आदि एहि मे प्रमुख अछि। एकरअतिरिक्त गुजरात स सेनेटरी उत्पाद निर्माता कंपनी आ ल्यूब ऑयल क कंपनी  सेहो प्रदशज़्नी मे शामिल होएत। लगभग सौटा स्टॉल राज्य क औद्योगिक इकाइ क होएत। खेतान कहला जे उद्घाटन लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स अनुरोध कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments