डेढ़ सौ स बेसी दरोगा बनताह इंस्पेक्टर

पटना। सब इंस्पेक्टर स इंस्पेक्टर मे प्रोन्नति कए लेल पुलिस मुख्यालय क रोस्टर क्लीयरेंस भेट गेल अछि। एहि स डेढ़ सौ स बेसी दरोगा क इंस्पेक्टर पद पर प्रोन्नति क रास्ता साफ भ गेल अछि। डीजीपी आनंद शंकर कहला जे शीघ्र प्रोन्नति क अधिसूचना जारी कएल जाइत। पिछला किछु महीना स रोस्टर क्लीयरेंस नहि भेटला स इंस्पेक्टर मे प्रोन्नति देबाक मामला अटकल छल, जखन कि अन्य संवर्ग मे प्रोन्नति देबाक प्रक्रिया पूरा भ गेल। एहि मामला कए देखै वाला पुलिस मुख्यालय क अधिकारी अनुसार अगर सब किुछु ठीक रहल त नवंबर मे प्रोन्नति क अधिसूचना जारी करि देल जाइत। इंस्पेक्टर मे प्रोन्नत होबै वाला पुलिस अफसर क पदस्थापन कए लेल पुलिस मुख्यालय अपन योजना लगभग तय करि देलक। प्रोन्नत अफसर क सूचना भेजल जा रहल अछि जे अगर ओ अपन पदस्थापना पुलिस एकेडमी मे चाहैत अछि त हुनका किछु अतिरिक्त राशि भत्त क रूप मे भेटत। किछु प्रोन्नत अफसर क बीएमपी मे पदस्थापित कएल जाइत फील्ड मे रिक्ति क कम होबै क वजह स इंस्पेक्टर मे प्रोन्नत एसआई कम संख्या मे जिला मे भेजल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments