डीडी बिहार देखाओत ‘एस एन झा क गजबे दुनिया’

2
15

Anil Mishra (Lead Cast Male) Roshni Jha (lead cast   Female)नई दिल्ली । डीडी बिहार 16 तारिख स हरेक वृह्सपति ल कए आबि रहल अछि ”एस. एन. झा क गजबे दुनिया” । 16 तारीख से हरेक वृहस्पति सांझ छ: बजे से देखाओल जाएत । इ धारावाहिक क निर्माता छथि‍ मैथि‍ली आ हिन्दी क निर्देशक आ मिथि‍ला प्रेमी ‘भवेश नंदन’ । एहि धारावाहिक मे मुख्य भूमिका मे छथि‍ डमरू उस्ताद क हीरो अनिल मिश्रा आ मुखि‍या जी सिनेमा क अभि‍नेत्री रोशनी झा । भवेश नंदन क होम प्रोडक्शन आर्द्रा मूवीज प्रा. लि. द्वारा एहि धारावाहिक क निर्माण कैल गेल अछि । ओतहि पटकथा विकास झा द्वारा लिखल गेल अछि । सिनेमेटोग्राफी अब्बास केर आ संपादन एल.के. शशि‍ द्वारा लिखल गेल अछि । कार्यकारी निर्माता मुकेश चंदन, प्रशांत कुमार आ गुजंन कुमार क छथि‍ । ओतहि सहायक निर्देशन अविनाश प्रभाकर, अमिताभ भूषण, ओमप्रकाश गुजंन आ अपर्णा झा छथि‍ । इसमाद परिवार सेहो भवेश नंदन आ हुनकर संपूर्ण टीम कए शुभकामना दैत अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

2 COMMENTS

  1. मैथीली मै कार्यक्रम प्रस्तुत कैनियहार सब कऐ बहुत बहुत धन्यवाद । जय मैथिल जय मिथिला…

Comments are closed.