डीएमसीएच मे खुलल बिहारक पहिल मॉडलर ओटी

0
1

23_04_2013-23drg8-c-2दरभंगा । डीएमसीएच क कान नाक आ गला (इएनटी) विभाग मे बिहार क पहिल मॉडलर आॅपरेशन थिएटर क उद्घाटन भ गेल। एहि मौका पर प्राचार्य डा.एसएन सिन्हा कहला जे इ डीएमसीएच लेल गौरव क गप अछि। मिथिला मे सेहो आब इ ओटी मैक्स आ अपोलो सन अस्पताल क अहसास करा रहल अछि। एहि मे आॅपरेशन करेनिहार रोगी कए कोनो कम्पलिकेशन नहि होयत। डीएमसीएच क विकास कए इ नवआयाम अछि। सरकार एहि ठामक सबटा ओटी कए धीरे धीरे मॉडलर ओटी मे बदलबाक प्रयास क रहल अछि। अस्पताल अधीक्षक डा.सूरज नायक कहला जे हुनकर इ एकटा सपना छल्ल जे आइ पूरा भ गेल। एहि ठाम मरीज कए अत्याधुनिक सुविधा भेटत। ओटी मे डाक्टर कए आपरेशन करबा लेल सेहो काफी सुविधा भेटत। ईएनटी विभागाध्यक्ष डा. बीके राय कहला जे मरीज कए इंफेक्शन स बचेबा लेल लेमिनार फ्लो, हेपा फिल्टर आ आठ टन क एसी समेत अन्य उपकरण एहि ठाम लगाउल गेल अछि। सेन्सर वाटर आ सेन्सर फाटक सेहो अछि। रिमोट कंट्रोल स इलेक्ट्रानिक हाइड्रोलिक आपरेशन टेबल संचालित होएत। लाइट जर्मनी क अछि। सूक्ष्म औजार मे माइक्रोमीटर, माइक्रोडिवाइडर, माइक्रोडील आदि शामिल अछि। दीवार स्टेन्लेस स्टील क अछि। ओटी मे कतहु कोनो जोड़ नहि अछि।
गौरतलब अछि जे डीएमसीएच क विकास मे एकटा नहि बल्कि दूटा कड़ी जुटि सकैत छल, मुदा से नहि भ सकल। उत्तर बिहार क सबस अत्याधुनिक गहन चिकित्सा कक्ष (आईसीयू) गायनिक वार्ड मे एखन धरि चालू नहि भ सकल अछि। एहि कारण स कईटा गंभीर मरीज बेमौत मरबा लेल बाध्य छथि। सरकार एहि आईसीयू कए गरीब मरीज लेल विशेष रूप स बनेलक अछि। लापरवाही क स्थिति इ अछि जे 35 लाख क लागत स बनल छह बेड क एहि आईसीयू मे ताला लटकल अछि आ कई मास स इ अपन उद्घाटनक बाट ताकि रहल अछि। इ आईसीयू दिसंबर, 2012 मे अस्पताल अधीक्षक कार्यालय कए हैंड ओवर क देल गेल अछि। आईसीयू आ उपकरण चालू रखबा लेल कर्मी सेहो तैनात अछि। अगर एहन आईसीयू निजी नर्सिग होम मे बनल रहिते त फटाफट चालू भ गेल रहिते। निजी नर्सिग होम क आईसीयू मे एकटा मरीज कए एक दिन मे आठ स 10 हजार टका लगैत अछि। अस्पताल अधीक्षक डा सूरज नायक कहला जे एकर उद्घाटनक जिम्मेवारी गायनिक वार्ड क यूनिट इंचार्ज क अछि। ओना मरीज कए भर्ती करबाक आदेश देल जा चुकल अछि, मुदा ताला एखनो लटकल अछि।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page