डा. परमानन्द कए भेटल साहित्य अकादमी क युवा पुरस्कार

कृष्‍णानंद
पटना। दूरदर्शन मे समाचार संपादक (संस्कृत) डा परमानन्द झा कए एहि सालक साहित्य अकादमी क युवा पुरस्कार (संस्कृत भाषा मे) लेल चुनल गेल अछि। हुनका इ सम्‍मान हुनक कविता संग्रह “काव्य कावेरी” लेल देल जा रहल अछि। मधुबनी जिलाक पंडौल प्रखण्डक गंगौली गामक बासी डा. झा कए इ पुरस्‍कार 25 अगस्त कए भुवनेश्वर मे आयोजित समारोह मे देल जाएत। अकादमी दिस स जारी विज्ञप्ति मे कहल गेल अछि जे हुनका इ सम्‍मान अकादमी क अध्यक्ष अपन हाथ स देताह। एहि सम्‍मान क तहत ताम्र-पत्रक संगहि 50 हजार टका नकद राशि देल जाएत अछि।
डा. झा ई पुरस्कार जीत कए संस्कृत क क्षेत्र मे मिथिलाक प्रासंगिकता क एक बेर फेर साबित क देलथि अछि। महाराजा कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्‍वविद्यालय, दरभंगा स 2000 मे व्याकरण मे आचार्यक उपाधि प्राप्त केलाक बाद डा. झा दिल्ली वि.वि. स संस्कृत मे एमए आ पीएचडी केलथि। संप्रति ओ दूरदर्शनक संस्‍कृत समाचार प्रभाग मे कार्यरत छथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.