डालमिया कए भेटल लोहट चीनी मिल

पटना । राज्य मंत्रिमंडल लोहट आ समस्तीपुर चीनी मिल कए 30 साल लेल निजी कंपनी कए लीज पर देबाक फ़ैसला केलक अछि। जानकारीक अनुसार समस्तीपुर चीनी मिल मे जूट आधारित उद्योग संचालित कैल जाएत। इ मिल विल्सन कंपनी कए देल गेल अछि। लोहट चीनी मिल स चीनी आ इथेनॉल क उत्पादन करबाक योजना अछि। इ मिल प्रसिद्ध उद्योगपति डालमिया क कंपनी कए लीज देल गेल अछि। एकर अलावा शेष बंद पडल चीनी मिल कए लीज पर देबा लेल एक बेर फेर निविदा जारी करबाक फ़ैसला लेल गेल अछि। ज्ञात हुए जे एखन धरि तीन बेर निविदा जारी भ चुकल अछि। राज्‍य मंत्रिमंडल एकर अलावा गया हवाई अड्डा क विस्तारीकरण योजना क तहत 100 एकड़ जमीन अधिगृहीत करबाक निर्णय लेलक अछि। एकरा लेल 24.63 करोड़ टकाक मंजूरी देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments