डाक विभाग क मुहर पर विद्यापति क चित्र

0
47
esamaad maithili newspaper

दरभंगा। मकर संक्रांति पर डाक विभाग मिथिला विभूति कए सम्मान द कए मिथिला कए गौरवान्वित केलक अछि। विभाग डाक टिकट निरस्तीकरण करबा मे प्रयोग भ रहल मुहर पर भारत सरकार क स्था न पर विद्यापति क चित्र आ हुनकर जन्म स्थान अंकित क देलक अछि। मिथिलाक सांस्कृतिक विरासत कए सम्माथन देबा लेल समाजक सब तबका डाक विभागक प्रशंसा केलक अछि । एहि मुहर क शुरुआत सोमदिन सांझखन प्रधान डाकघर लालबाग मे डाक अधीक्षक एम पी रजक आ डाकपाल एचएन दास संयुक्त रूप स लिफाफा पर सटल डाक टिकट पर विद्यापति चित्र अंकित मुहर लगा केलथि। एहि अवसर पर डाक अधीक्षक कहला जे काफी दिन स विभाग मिथिला विभूति कए स्मृति सम्मान देबा लेल प्रयासरत छल। केंद्र सरकार स स्वीकृति भेटलाक बाद मकर संक्रांति पर एकर शुभारंभ क देल गेल अछि। ओ कहला जे मुहर क जरिए देश क सब प्रांत मे विद्यापति क संदेश पहुंचत। ओ कहला जे निकट भविष्य मे एहन मुहर उप डाकघर मे सेहो उपयोग कैल जाएत। ज्ञात हुए जे विद्यापति दरभंगा प्रमंडलक बिस्फी गाम मे जन्मे लेने छलाह।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Comments

comments