ठेकेदारी मे आरक्षण, नीतीश सरकारक नव फैसला

0
14
esamaad maithili newspaper

पटना । नीतीश कुमार ठेकेदारी मे आरक्षण द जीतनराम माझी कैबिनेट क एक आओर फैसला कए लागू क देलथि अछि । मंगलदिन भेल राज्य कैबिनेट क बैसार मे कुल 25टा एजेंड पर निर्णय लेल गेल। बैसार क  उपरांत मंत्रिमंडल सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव शिशिर सिन्हा कहला जे बिहार ठीकेदारी निबंधन नियमावली, 2007 क कंडिका-4(क) आ 7 मे संशोधन करबाक स्वीकृति आ पथ निर्माण विभाग क अन्तर्गत राज्य क सब कार्य विभाग, योजना आ विकास विभाग क अन्तर्गत स्थानीय क्षेत्र अभियंत्रण संगठन, निगम, उपक्रम, प्राधिकरण, परिषद् आ निकाय क अधीन ओहन कार्य जेकर प्राक्कलित राशि 15.00 लाख (पन्द्रह लाख) या ओहि स कम रहत, स संबंधित अंचल स्तर पर वर्षवार कुल कार्य क  50 प्रतिशत कार्य, अनुसूचित जाति, अनुसूचित जन जाति, अत्यन्त पिछड़ा वर्ग, पिछड़ा वर्ग आ पिछड़े वर्ग क महिला संवेदक लेल  आरक्षित करैत उक्त कोटि क अन्तर्गत प्राप्त निविदा क माध्यम स कार्य कए आवंटित करबाक स्वीकृति देल गेल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page