ट्रैफिक नियंत्रण कए पीपीपी मोड मे देबा पर सहमति

पटना। जर्जर भ चुकल महात्मा गांधी सेतु क मेंटेनेंस आ ट्रैफिक नियंत्रण कए पब्लिक प्राइवेट पार्टनरशिप मे देबा पर सहमति भ गेल। भूतल परिवहन मंत्रालय क एडीजी, एबी सिन्हा क संग एनएच स जुड़ल आला अभियंता क बैठक मे एहि आशय क फैसला लेल गेल। श्री सिन्हा पथ निर्माण विभाग कए आश्वस्त केलथि अछि जे 15 दिन मे मंत्रालय क दिस स एहि बाबत अनापत्ति प्रमाण पत्र जारी करि देल जाइत। पिछला माह डीजी रोड एनएच क अभियंता क संग गांधी सेतु क निरीक्षण केने छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments