टॉप सीडेड खिलाड़ी क लगल पटना मे जमावड़ा

हब नेट लॉन टेनिस रैकिंग चैंपियनशिप
13 राज्य क खिलाढ़ी ल रहल छथि भाग
DSC_2212
1408
पटना । स्थानीय पाटलिपुत्रा कॉलोनी टेनिस कोर्ट ग्राउंड पर आइ-काल्हि टॉप सीडेड प्लेयर्स क जमावड़ा लगल अछि। 19 स 24 अक्टूबर तक चलल हब नेट ऑल इंडिया टेनिस रैंकिंग चैंपियनशिप मे दर्जन भरि सीडेड खिलाड़ी भाग लेलथि। 13 राज्य स आल लगभग 125 खिलाड़ी एहिमे हिस्सा ल रहल छथि। बिहार लॉन टेनिस एसोसिएशन द्वारा आयोजित एहि चैंपियनशिप मे मेजबान टीम सेहो नीक प्रदर्शन केलक।
टॉप सीडेड ख्लिाड़ी : मेन्स गु्रप-मनोज सेवा-वेस्ट बंगाल(नंबर-1),सौरभ पांजा-वेस्ट बंगाल(नंबर-2),एस जॉन करीनो-तमिलनाडू(नंबर-3), रूबल शांडिल्या- दिल्ली (नंबर-4), वेदांत कपूर-दिल्ली (नंबर-5), हरि
चिदंबरम-इंडियन एयर फोर्स (नंबर-6), बिबास्वान देव-वेस्ट बंगाल (नंबर-7).
वुमेन्स ग्रुप : दीप्ती श्रीवास्तव-वेस्ट बंगाल (नंबर-1), रानी स्मिता जैन-इंडियन एयर फोर्स(नंबर-2), दीप्ना वजीरानी-महाराष्ट्र(नंबर-3), शिल्पी जायसवाल-बिहार (नंबर-4), स्वता जी कखादंकी- कर्नाटक(नंबर-5), ओमलता कुमारी राय- यूपी(नंबर-6), श्रुति जायसवाल-बिहार(नंबर-7)
भाग लेनिहार राज्य : महाराष्ट्र, केरल, कर्नाटक, दिल्ली, यूपी, एमपी, ओडि़सा, असम, बिहार, वेस्ट बंगाल, गोवा, छत्तीसगढ़, गोवा आ तमिलनाडू। एकर अलाव इंडियन एयरफोर्स क खिलाड़ी सेहो एहि मे भाग लेलथि। मेजबान टीम क बेहतर प्रदर्शन बिहार लॉन टेनिस एसोसिएशन क ट्रेनर अमलेश कुमार कहलथि जे हब नेट टेनिस रैंकिंग चैंपियनशिप मे मेजबान टीम क परफार्मेंस बेहतर रहल। कहै ल त एहि मे बिहार क छहटा खिलाड़ी भाग लेलथि, मुदा प्रदर्शनक क स्तर पर बेहतर रहलथि। महिला ग्रुप में कुल चारिटा खिलाड़ी रहथि। एहि मे दूटा सीडेड प्लेयर्स त जायसवाल बहिन छथि। दूनू अपन-अपन मुकाबला मे बेहतर प्रदर्शन केलथि। ओतहि पुरुष वर्ग मे अदम्य विक्रांत आ देवप्रिय जायसवाल सेहो प्रतिभागी कए मजबूत टक्कर देलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments