टेलीकॉम कंपनी आब बजाउत नक्सली इलाका मे घंटी


पटना। बीतल किछु साल मे बिहार मे टेलीकॉम कंपनी मोट निवेश केलक अछि। एहि कारण स कंपनी क ग्राहक क तादाद सूबा मे 2.5 करोड़ स सेहो बेसी भ गेल अछि। आब कंपनी अपन नेटवर्क क विस्तार मे सेहो जुटि चुकल अछि। हुनकर आंखि आब ओहि इलाका पर अछि, जतए कानून व्यवस्था क हालत क वजह स इ कंपनी जेबा स हिचकिचाइत रहल अछि।
दरअसल, आइ सेहो राज्य क ओहि हिस्सा मे टेलीकॉम कंपनी क पहुंच काफी कम अछि, जतए नक्सली क बोल-बाला अछि। हालांकि, आब इ कंपनी एहि इलाका मे अपन पहुंच बढ़ेबा लेल आगू आबि रहल अछि। केंद्रीय दूरसंचार आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्री सचिन पायलट कहला-हमर लक्ष्य बिहार आओर झारखंड सर्किल मे बीएसएनएल कए मजबूत करब अछि। एकरा लेल हम नव इलाका क दिस रुख करि रहल छी। बाढ़ प्रभावित इलाका क संग-संग नक्सली क प्रभाववाला इलाका मेे सेहो अपन मौजूदगी कए मजबूत बनेबा लेल हम कदम उठा रहल छी। ओ कहला- एहि राज्य मे हमर 2 हजार स बेसी टावर अछि। चालू वित्त वर्ष क अंत तक हम करीब एक हजार नव टावर कए स्थापित करबाक इरादा अछि। मतलब, आब बिहार क हर कोन मे 3जी सेवा क लाभ भेटत।
निजी टेलीकॉम कंपनी सेहो दू-दू हाथ करबा लेल तैयार अछि। एयरटेल क बिहार-झारखंड क मुखिया शिशिर कुमार कहला -किछु दिक्कत जरूर अछि, मुदा हम एहि स पार पाबि लेबा मे जुटल छी। हम आब ओहि इलाक दिस जा रहल छी, जाहि दिस कियो नहि गेल अछि। एखन बिहार-झारखंड मे एयरटेल क लग मे करीब 6,200 टावर अछि। इ संख्या एहि सर्किल मे मौजूद कोनो दोसर खिलाड़ी क मुकाबला काफी बेसी अछि। श्याम-सिस्टेमा टेलीसर्विसेज लि. क बिहार-झारखंड क सीओओ एमके सचदेवा कहला-हम एखन दियारा इलाका मे अपन नेटवर्क कए मजूबत बनेबाक काज मे लागल छी। एहि इलाक मे कंपनी एबा स घबराइत छल। एहि इलाका मे पहिने एबाक फायदा हमरा जरूर भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments