टूनी देवी नहि रहलीह

प्रितिलता मल्लिक

पटना । मैथिलीक महान आलोचक आचार्य रमानाथ झाक पैघ बेटी टूनी देवीक सोमदिन सांझखन निधन भ गेल। ओ 86 बरखक छलीह। पटना कॉलेजक पूर्व प्राचार्य, पूर्व कुलपति मिथिला विश्‍वविद्यालय आ बिहार विधान परिषद क पूर्व सदस्‍य स्‍व डा चेतकर झा क पत्‍नी टूनी देवी क एक मात्र पुत्र प्रभाकर झाक निधन चारि साल पूर्व भ गेल छल। तखन स ओ पटना स्थित अपन घर ‘आश्रम’ मे परनैत श्री विजय आंनदक देख रेख मे रहैत छलीह। हुनकर अंतिम संस्‍कार आइ बांस घाट पर संपन्‍न भेल। जेठ बेटी छवि झाक उपस्थिति मे चेतकर झाक भातिज रमेश झा मुखग्नि देलथि। एहि अवसर पर काफी लोक बांस घाट पर उपस्थित छल। हिनकर छोट बेटी सती झा दरभंगा महिला कॉलेज मे लेक्‍चरर छथि। हिनकर निधन पर पत्रकार शिवनाथ झा, पूर्व विधान पार्षद कमलनाथ सिंह ठाकुर, धनाकर ठाकुर, अमरेंद्र झा, नरेंद्र झा आ पत्रकार विकास कुमार झा सहित कई गोटा शोक संवेदना प्रकट केलथि अछि। अपन संरक्षकक निधन पर पूरा समाद परिवार दुखी अछि आ हुनकर आत्‍माक शांति लेल प्रार्थना करि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.