टीसीएस क संग भेल प्रबंधन संस्थान क अनुबंध

दरभंगा । लनामिवि प्रबंधन सलाहकार परिषद क बैसार मे टाटा कंसल्टेंसी सर्विस (टीसीएस) क संग आनलाइन अनुबंध कैल गेल। एहि स प्रबंधन संस्थान कए कईटा लाभ भेटत। टीसीएस क माध्यम स संचालित परीक्षा क केंद्र प्रबंधन संस्थान कए बनाउल गेल अछि। एकर संगहि टीसीएस क कंप्यूटर विशेषज्ञ विवि प्रबंधन संस्थान क छात्र कए समय-समय पर कंप्यूटर क शिक्षा देताह। दोसर दिस अखिल भारतीय प्रबंधन एसोसिएशन द्वारा अपन बुलेटिन मे विवि प्रबंधन संस्थान क स्तरीय हेबाक चर्चा भेला पर निदेशक कए बधाई देल गेल। एमबीए सत्र 2013-15 मे नामांकन लेल सदस्य सब निदेशक कए अधिकृत करैत नामांकन प्रक्रिया प्रारंभ करबाक अनुमति द देलथि। कुलपति डा. एसपी सिंह क अध्यक्षता मे संपन्न बैसार मे प्रतिकुलपति डा.ध्रुव कुमार, निदेशक डा.एलपी सिंह, पूर्व विधायक डा.मदन मोहन झा, कुलसचिव डा.वीपी सिंह, कामर्स क डीन डा.एसएम झा, वित्तीय परामर्शी सीआर दिगवाल, डा.बीबीएल दास आदि उपस्थित छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments