टीम गडकरी मे बिहारी खनक

नई दिल्ली/पटना। भाजपा क राष्ट्रीय अध्यक्ष नितिन गडकरी टीम मे राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ क इच्छानुसार सब ‘खेमाÓ क बीच तालमेल बैसेबाक पूरा प्रयास कैल गेल अछि। टीम मे बिहारी खनक सेहो अछि। प्रदेश कए कायदा स प्रतिनिधित्व भेटल अछि। खास कए रविशंकर प्रसाद आ श्रीमती किरण घई कए प्रमोशन देल गेल अछि। रविशंकर महासचिव आ मुख्य प्रवक्ता बनलाह अछि। श्रीमती घई कए राष्ट्रीय उपाध्यक्ष बनाउल गेल अछि। राजीव प्रताप रूडी आ सैयद शाहनवाज हुसैन कए राष्ट्रीय प्रवक्ता क जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि। राष्ट्रीय कार्यकारिणी मे कैलाशपति मिश्र, सुशील कुमार मोदी, मृदुला सिन्हा, शत्रुघ्न सिन्हा, डॉ सीपी ठाकुर, हुक्मदेव नारायण यादव, सुखदा पांडेय, रामजी ऋ षिदेव, गंगा प्रसाद, हरेंद्र प्रताप, रामकृपाल सिन्हा, अमिताभ सिन्हा आ दरभंगाक बेटी पूनम आजाद कए सेहो स्थान भेटल अछि। नंदकिशोर यादव आ चंद्रमोहन राय पिछला बेर सदस्य छलाह, मुदा एहि बेर हुनका स्थान नहि भेट सकल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments