टाय-टांय फिस्स भ गेल शिक्षक क आंदोलन

0
4
esamaad maithili newspaper

classroom
गया। दक्षता परीक्षा मे शामिल हुए बाला शिक्षक क आंकड़ा पर अगर नजरि डाली त स्पष्ट होइत अछि जे संघ क नेता क आंदोलन टाय-टाय फीस भ गेल अछि। संघ क बहिष्कार क एलान क बावजूद केवल गया जिला मे 5284 मे से 5246 शिक्षक दक्षता परीक्षा मेे शामिल भेलथि। गया मे निर्धारित आठ परीक्षा केंद्र पर कुल मिलाकए शांतिपूर्ण तरीका स परीक्षा सम्पन्न भ गेल। संघ क एलान कए शिक्षक लोकनि दरकिनार करि विभिन्न केंद्र पर विभाग द्वारा संचालित परीक्षा मे अपन उपस्थित दर्ज करौलथि। लाख कोशिश क बादो संघ क पदाधिकारी दक्षता परीक्षा मे खल नहि डाली सकलाह। परीक्षा क बहिष्कार क गप त दूर नेता अपनो परीक्षा मे शामिल भेलाह। एहि स इ साफ भ गेल जे ओ आंदोलन क केवल कागजी घोड़ा दउड़ा रहल छलाह। बिहार राज्य पंचायत प्रखंड प्रारंभिक शिक्षक संघ क नेता कई टा मैराथन बैठक केने छलाह, मुदा जखन परीक्षा क घंटी बाजल त शिक्षक नेता दुबकि गेलाह। ओनो अनुग्रह मेमोरियल कॉलेज केंद्र पर महिला कए आगू करि बाधा देबाक प्रयास भेल, मुदा नेता नजरि नहि एलाह

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page