टाटा पार्क स खुलत प्री-पेड आटो

पटना । प्रमंडलीय आयुक्त सुनील बर्थवाल स्टेशन क समीप स्थित टाटा पार्क कए प्री-पेड आटो स्टैंड क रूप मे विकसित करबाक निर्देश देलथि अछि। एकर अतिरिक्त बकरी बाजार मे मूलभूत सुविधा युक्त आटो स्टैंड विकसित करबाक घोषणा केलथि अछि। प्रमंडलीय आयुक्त क्षेत्रीय परिवहन प्राधिकार क सचिव कए निर्देश देलथि अछि जे अगर सबटा कागजात सहि हुए त आटो चालक कए एक दिन मे परमिट देल जाए। ओ अपन कार्यालय कक्ष मे आटो चालक क नेता, ट्रैफिक एसपी आ परिवहन विभाग क अधिकारीक संग बैठक करि रहल छलाह।
बैठक मे भाग लेबाक बाद सीटू स सम्बद्ध आटो चालक नेता राजकुमार झा कहलथि जे प्रमंडलीय आयुक्त क आश्वासन क बाद प्रस्तावित राज्य स्तरीय हड़ताल कए एक माह लेल स्थगित करि देल गेल अछि। आयुक्त आटो चालक क प्रतिनिधि स एक सप्ताह मे आटो स्टैंड क संबंध मे प्रस्ताव मंगलथि अछि। आयुक्त भरोस देलथि अछि जे प्रस्ताव भेटलाक एक माह क भीतर बकरी बाजार मे प्रशासन क दिस स आटो स्टैंड विकसित करि उपलब्ध कराउल जाइत। बैठक मे ट्रैफिक एसपी अजीत कुमार सिन्हा, प्राधिकार क सचिव विजय कुमार सिंह आदि मौजूद छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments