टाईटलर आ अनिक क झगड़ा हिंसक भेल

छपरा। बिहार मे कांग्रेस दू डेग आगू बढ़बाक चक्कर मे तीन डेग पाछु भ जाइत अछि। प्रदेश प्रभारी जगदीश टाईटलर जतय पप्पू यादव आ साधु यादव कए कांग्रेसी बनेबा लेल जान देने छथि, ओतहि प्रदेश अध्यक्ष अनिल शर्मा पार्टीक युवराज क लाइन पर पार्टी कए आपराधिक छविक नेता स मुक्त रखबाक प्रयास मे लागल छथि। लेकिन एहि चक्कर मे बिहार कांग्रेसक दिन बद स बदतर भेल जा रहल अछि। दिल्लीक राजनीति मे अपन भद पिटा चुकल टाइटलर बिहार मे कांग्रेस क अपराधिकरण करबा मे कोनो कोर कसर नहि छोडि़ रहल छथि। एकर ताजा उदाहरण शनिदिन शुरू भेल परिवर्तन रथ कए छपरा पहुंचला पर देखल गेल। कांग्रेस क प्रदेश अध्यक्ष अनिल शर्मा क काफिला हमला कैल गेल। हन्मला केनिहार कांग्रेस क कार्यकर्ता छलाह। एहि मे कांग्रेसक करीब एक दर्जन कार्यकर्ता जख्मी भेल छथि। दू गोटक माथ फाटल अछि। हमलावर ‘अनिल शर्मा वापस जाओÓ क नारे लगबैत अपने पार्टीजन पर हमला केलथि। मौका पर पहुंचल पुलिस जेना-तेना अनिल शर्मा कए सुरक्षित बचा लेलक। हमलावर ‘टाइटलर-पप्पू यादव जिंदाबाद, अनिल शर्मा वापस जाओÓ क नारे लगबैत भागि गेल, मुदा सवाल उठैत अछि जे राहुल गांधी एहि परिस्थिति मे कोन मुंह स बिहार मे अपराधमुक्त सरकार देबाक किरिया खेता आ टाइटलर सन प्रभारी बना कए एकटा एहन कांग्रेसी कार्यकर्ता कए कपार किया फोड़ल जा रहल अछि, जे पार्टी मे आपराधिक छविक लोक क विरोध करि रहल अछि। अगर सोनिया गांधी आपराधिक छविक लोक कए पार्टी मे राखए चाहैत छथि, त राहुल गांधी पार्टीक चेहरा बदलबाक दावा किया करि रहल छथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments