टांटी नरसंहार मे सात गोटे कए आजीवन कारावास

मुंगेर। मुंगेर जिला क एकटा विशेष अदालत राज्य क बहुचर्चित टांटी नरसंहार क मामला मे सोमदिन सात गोटे कए सश्रम आजीवन कारावास क सजा सुनेलक। विशेष न्यायालय क न्यायाधीश सुरेश चन्द्र श्रीवास्तव सजा क बिंदु पर सुनवाई करैत नामजद अभियुक्त कृष्णनंदन सिंह, श्यामनंदन सिंह, अरूण सिंह, मृत्युंजय सिह, उदयशंकर सिंह, दिवाकर सिंह आ कन्हैया सिंह कए भारतीय दंड विधान क धारा 302 क तहत इ सजा सुनेलथि अछि।
सजा सुनेलाक बाद दोषी सब कए न्यायिक हिरासत मे जेल पठा देल गेल। एकर अलावा अदालत सभी गोटे पर दस-दस हजार टकाक अर्थदंड क सजा सेहो सुनेलक अछि। एहि स पूर्व विशेष न्यायालय पांच अक्टूबर कए एहि मामला क सुनवाई क दौरान बिहार क पूर्व मंत्री संजय सिंह समेत आठ गोटे कए दोषी करार देने छल।
दोषी करार भेलाक बाद पूर्व मंत्री संजय सिंह क हृदयाघात स न्यायालय परिसर मे मौत भ गेल छल। एहि मामलाक एकटा अन्य अभियुक्त आ पूर्व सांसद राजो सिंह क वर्ष 2005 मे हत्या भ चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments