टका लेल नहि रूकत सड़क निर्माण: नीतीश

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे केंद्र टका दैत या नहि दैत सडकक निर्माण होइत रहत। ओ ग्रामीण कार्य आ पथ निर्माण विभाग क योजना क प्रगति क समीक्षा करि रहल छलाह। मुख्यमंत्री कहला जे केंद्र ग्रामीण इलाका मे बनल सड़क क राशि अटका रखने अछि। प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजना क अंतर्गत बिहार मे 8600 करोड़ टकाक लागत स 19 हजार किलोमीटर सड़क क निर्माण हेबाक अछि। एहि स्वीकृत योजना क लेल केंद्र एखनधरि मात्र 23 प्रतिशत राशि राज्य सरकार कए देलक अछि, जखनकि एहि संबंध मे बेर-बेर रिमाइंडर पठाउल जा चुकल अछि। बैठक मे कहल गेल जे 2500 किलोमीटर ग्रामीण सड़क क निर्माण पूरा भ चुकल अछि, जखकि 15000 किलोमीटर सड़क क निर्माण कार्य शुरू भ चुकल अछि। एहि मद मे केंद्र लग एक हजार करोड़ क भुगतान लंबित भ गेल अछि। मुख्यमंत्री कहा जे केंद्र क असहयोग आ राशि भुगतान नहि करबा स ग्रामीण क्षेत्र मे सड़क क निर्माण गति प्रभावित नहि हेबाक चाही। ग्रामीण कार्य विभाग क अधिकारी कहला जे मुख्यमंत्री ग्राम सड़क योजना क अंतर्गत 1403 करोड़ टकाक लागत पर 3205 किमी सड़क बनाउल जा चुकल अछि। मुख्यमंत्री अधिकारी स कहला जे चाहे जे हुए जेतबा किलोमीटर सड़क क लक्ष्य अछि ओकरा बनेबाक अछि। हमर योजना प्रदेश क सबस दूरस्थ स्थान स छह घंटा मे राजधानी पटना पहुंचबाक अछि। पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत कहला जे 2015 तक एहि लक्ष्य कए पूरा करि लेल जाएत। समीक्षा बैठक मे नव सड़क क रखरखाव लेल मेंटेनेंस पालिसी लागू करबाक निर्देश देल गेल। ज्ञात हुए जे बिहार सरकारक एहि पालिसी कए केंद्र सरकार सेहो अपनेलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments