“ज्योतिरीश्वर सम्मान” स सम्‍मानित भेलाह मलंगिया

0
10
esamaad maithili newspaper

नई दिल्‍ली। दिल्‍ली क श्रीराम सेंटर में मैथिली लोकरंग दिस स महेंद्र मलंगिया कए एहि साल क “ज्योतिरीश्वर सम्मान” प्रदान कैल गेल। श्री मलंगिया कए इ सम्‍मान समारोह क विशिष्ठ अतिथि पद्म विभूषण निरंजन गोस्वामी देलथि। एहि अवसर पर श्री मलंगिया कहला जे हम बस एतबे कहब जे गौरवान्वित छी। बाकी गप समय समय पर कहि चुकल छी आइ बस नाटक देखबाक आनंद लेल जाए।
एकर संगहि महेंद्र मलंगिया नाटय महोत्‍सव क सेहो शुरुआत भ गेल। एहि नाटय महोत्‍सवक औपचारिक शुरुआत मैथिली क पांचटा दिग्गज महेंद्र मलंगिया, मोहन भारद्वाज, देवशंकर नवीन, विद्यानंद ठाकुर आ पंचानन मिश्र दीप प्रज्वलन क केलथि। ज्ञात हुए जे कैबिनेट क बैसार क कारण मलंगिया नाटय महोत्सव क उद्घाटनकर्ता प्रफुल्ल कुमार झा नहि आबि सकलाह। एहि अवसर पर महेंद्र मलंगिया लिखित नाटक क सकलन “महेंद्र मलंगिया क सात नाटक” किताब क लोकार्पण सेहो भेल। एहि किताब क लोकार्पण आ मलंगिया महोत्सव क उद्घाटनकर्ता छलाह मैथिली क पांचटा दिग्गज महेंद्र मलंगिया, मोहन भारद्वाज, देवशंकर नवीन, विद्यानंद ठाकुर आ पंचानन मिश्र। एहि किताब कए मैलोरंग प्रकाशन प्रकाशित केलक अछि जेकरा सम्पादित केलथि अछि मैलोरंग क निर्देशक प्रकाश झा। इ पुस्‍तक खास क छात्र लेल बहुत अपयोगी भ सकैत अछि। ताहि लेल एहि संकलन कए विभिन्न विश्विद्यालय मे पठेबाक विचार व्‍यक्‍त कैल गेल। एहि अवसर पर मोहन भारद्वाज कहला जे “नाटककार त ढेर अछि मिथिला मे मुदा नाटककार क एहि तरहक सम्मान देखि क आइ मिथिला धन्य भेल। इ सम्मान खालि मलंगिया जीक सम्मान नहि अपितु सम्पूर्ण मिथिलाक सम्मान अछि। एहि स पूर्व मंच संचालन करैत मैलोरंग क निर्देशक प्रकाश झा कहला जे मैथिली नाटककार कए रास्ट्रीय स्तर क नाटककार क कतार मे ढार करबाक इ एकटा छोट सन कोशिश छी।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page