जोगबनी सीमा पर बनत एकीकृत चौकी

नई दिल्ली । केंद्रीय गृह राज्यमंत्री मुल्लापल्ली रामचन्द्रन भारत-नेपाल सीमा पर बिहार मे स्थित जोगबनी मे एकीकृत चौकी क आधारशिला रखलाह। जोगबनी एकीकृत सीमा चौकी बिहार मे दोसर आ अटारी (पंजाब) आ रक्सौल (बिहार) क बाद देश मे तेसर एकीकृत चौकी अछि, जतय आइ स निर्माण शुरू भ गेल। जोगबनी एकीकृत चौकी लगभग 190 एकड़ मे बनत आ अगस्त 2011 तक बनि जेबाक आशा अछि। आधारशिला रखबा काल बिहार क स्वास्थ्य मंत्री नन्द किशोर यादव सेहो मौजूद छलाह। एहि एकीकृत चौकी क प्रमुख विशेषता मे मडूलर डिजाइन, प्रत्येक प्रक्रिया क लेल निर्धारित लेन, सीमा स एबा-जेबा लेल अलग गेट, न्यूनतम यातायात संकुलता, रूट क जानकारी, मार्ग-निर्देश, प्रशासनिक आ सुविधा क्षेत्र शामिल अछि। एहि ठाम जे सुविधा प्राप्त रहत ओहिमे यात्रा क अंतर्गत पड़ाव क इमारत, मुद्रा विनिमय, इंटरनेट सुविधा, निरीक्षण स्थल, गोदामशीत भंडार, बैंक, स्कैनर, सीसीटीवीपी ए प्रणाली, पार्किंग, जलपान-भोजन दुकान आ अन्य जन सुविधा शामिल अछि। भारत-नेपाल सीमा पर दू टा आओर एकीकृत चौकी उत्तर प्रदेश मे रूपईडीहा आ सुनौली मे बनत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments