जैविक खेती स आउत कृषि क्रांति : नीतीश


मुजफ्फरपुर। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे जैविक खेती स राज्य मे कृषि क्रांति आउत। एकरा ध्यान मे राखिकए कृषि रोडमैप बनाउल गेल अछि, जाहि पर तेजी स काज चलि रहल अछि। किसान कए जैविक खेती मे हर तरह स सहयोग क भरोस दैत ओ कहला जे प्रदेश मे साढ़े चारि लाख ट्यूबवेल लगाउल जा रहल अछि। ओ कृषि आ ओहि पर आधारित उत्पाद क निर्माण पर जोर दैत कहला जे हर हिन्दुस्तानी क थारी मे कम स कम एकटा बिहारी व्यंजन हेबाक हुनकर लक्ष्य अछि। अनुसंधान मे तेजी अनबा लेल राज्य मे एकटा आओर कृषि विश्वविद्यालय क प्रस्ताव विधानसभा मे आनल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री मनिकपुर उच्च विद्यालय क प्रागंण मे आयोजित जैविक खाद प्रोत्साहन कार्यक्रम क उद्घाटन क उपरांत बाजि रहल छलाह। एहि स पहिने ओ सरैया क आनंदपुर निवासी राजकुमारी देवी उर्फ किसान चाची क घर जाकए घरेलू उत्पाद आ जैविक खेती क अवलोकन केलथि। कार्यक्रम मे डॉ आरबी सिंह आ आरके सोहाने द्वारा जैविक खेती पर लिखल पुस्तक क विमोचन सेहो कैल गेल। एहि मौका पर मुख्यमंत्री नौबतपुर पटना निवासी सियामुनी देवी कए चेक, मुंगेर निवासी सुभाष यादव कए पोर्टेबुल कम्पोस्ट कीट, मुजफ्फरपुर क कांटी निवासी गिरिधर पाण्डेय आ शचीन्द्र प्रसाद सहित अन्य कए जैविक उत्पादन कीट दकए सम्मानित केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments