जेल जाउ, टिकट पाउ : लालू

पटना। एक दिन एहन छल जे लालू प्रसाद क एकटा आवाज पर लाखों कार्यकर्ता जेल मे बंद भ जाइत छल, मुदा आब बिहार बदलि गेल अछि। आब जेल मे बंद होएब खराब गप भ गेल अछि। राष्ट्रीय जनता दल क अध्यक्ष आ पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद एहि स परेशान छथि। ओ युवा कए बुझेबा मे लागल छथि जे जेल पवित्र स्थान अछि, गांधी स ल कए जेपी तक जेल जा चुकल छथि। ओ कहला जे जेल जेबा स कईटा फायदा अछि, जेल मे सबकिछु मुफ्त मे भेटैत अछि । दवाई, भोजन, कपड़ा स लकए कंबल तक। ओ कहला जे जेल मे सुरक्षा क लेल बॉडीगार्ड रखबाक कोनो चिंता नहि रहत। सुरक्षा क लेल जेल क अधिकारी हर समय मौजूद रहताह। लालूक लाख प्रयासक बावजूद युवा जेल जेबा लेल तैयार नहि अछि। आखिरकार लालू जी कहला अछि जे राजद जेल जनिहार कार्यकर्ता कए चुनाव मे टिकट भेटत। राजद राज्यव्यापी बंद आ जेल भरो अभियान क शुरुआत केलक अछि, मुदा जेल जनिहार युवा नहि भेटि रहल अछि। देखबाक चाहि जे लालूक एहि नव प्रस्ताव स केतबा लोक जेल जेबा लेल तैयार होइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. माननीय लालू जी बिहारक विकास जेल गेला सँ नहि, बल्कि काज केला सँ होयत | अहि सँ नीक अपन कार्यकर्ता के कहियोक जे समाज सेवा करत तख्नाही बिहारक विकास होयत सगही अहुँ के वोट भेटत |

Comments are closed.