जेट एयरवेज क बैंकाक गया उड़ान शुरू

बोधगया (गया)। जेट एयरवेज क बैंकाक-गया क बीच पहिल उड़ान मंगलदिन आरंभ भ गेल। सप्ताह मे दू दिन जेट एयरवेज क 9 डब्ल्यू 69 क उड़ान बैंकाक-गया-वाराणसी-बैंकाक क बीच निर्धारित अछि। जे सब मंगल आ शुक्र कए 10:20 बजे गया अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर उतरत आओर 11:20 बजे वाराणसी क लेल प्रस्थान करत। ज्ञात हुए जे बोधगया क पर्यटन मौसम क मद्देनजर पहिल बेर जेट एयरवेज बैंकाक-गया- वाराणसी -बैंकाक क रूट पर अपन उड़ान आरंभ केलक अछि। ओतहि, सोमदिन निर्धारित थाई एयरवेज क टीजी 8820, इंडियन एयरलाइंस क आईसी 730 आ आईसी 734 क उड़ान सामान्यत: आयल आ अपन गंतव्य क लेल प्रस्थान केलक। एहि विमान मे यात्रीक संख्या सेहो सामान्य रहल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments