जून मे पेश होएत फाइनल रिपोर्ट कार्ड


पटना। प्रदेश क सत्ताधारी जमात विधानसभा चुनाव क तैयारी मे जुटि गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे जून महीना मे रिपोर्ट कार्ड पेश कैल जाएत। इ मई महीना तक क कार्यकलाप पर आधारित होएत। मुदा ओ साफ केलथि जे चुनाव समय पर होएत। परिसीमन क असर नहि रहत। विधानसभा स्थित अपन कक्ष मे पत्रकार संग गपशप मे मुख्यमंत्री इ विचार रखलथि। एकटा सवाल क जवाब मे ओ स्पष्ट केलथि जे आब मंत्रिमंडल विस्तार क बहुत मतलब नहि अछि। चुनाव आबि गेल अछि आ एतबा कम दिन मे के कोन काज करि सकत। नीतीश कुमार स जखन इ पूछल गेल कि ओ कोन ठाम स चुनाव लड़ताह, त ओ कनि काल चुप भ गेलाह, फेर कहलाह, पिछला चारि साल मे पूरा बिहार हमर कर्मभूमि छल, फेर कोनो एकटा भू-भागक हम कोनो प्रतिनिधित्व करि। ओना हम इ नहि सोचने रही जे अहां सब इ सवाल पूछब। एखन त मात्र इ कहि सकैत छी जे संपूर्ण बिहार हमर चुनाव क्षेत्र अछि।Ó पार्टी आ गठबंधन क सवाल परन् ओ कहला जे भाजपा क संग सीट बंटवारा मे कोना दिक्कत नहि हेबाक चाही। हमसब मिल-बैसकए तय करि लेब। एहि तरह क विवाद क कोनो गुंजाइश नहि अछि। नीतीश कहला जे एहि बेर समय स पहिने गर्मी आबि गेल अछि। ठंड सेहो खूब भेल। अनुमान अछि जे वर्षा सेहो खूब होएत। एहन मे पिछला अनुभव क आधार पर हम पूरा तैयारी मे छी। एहि बेर आकस्मिकता निधि 1500 करोड़ टका राखल गेल अछि, ताकि जरूरत पड़ला पर कोनो परेशानी नहि हुए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments