जून तक 10 हजार नौकरी

पटना । राज्य सरकार जून स पहिने 23 विभाग मे 10 हजार युवक-युवती कए नियुक्त करैे जा रहल अछि। एकरा लेल बनल नव नियमावली क प्रारूप कए हाल मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंजूरी देलथि अछि। प्रारूप कए मंत्रिमंडल क अगिला बैठक मे पारित हेबाक संभावना अछि। समेकित परीक्षाकार्मिक विभाग जे नव नियमावली बनेलक अछि , ओहिमे समेकित परीक्षा संचालन क प्रावधान कैल गेल अछि। सब विभाग स रोस्टर क्िलयरेंस भेटलाक बाद रिक्त पद कए बिहार कर्मचारी चयन आयोग कए पठाउल जाएत। आयोग समेकित परीक्षा मे सफल अभ्यर्थि क नियुति क अनुशंसा कार्मिक विभाग स करत। परीक्षा दू स्तर पर लेल जाएत – प्रारंभिक आ मुख्य परीक्षा। एहि मे सामान्य ज्ञान, गणित आ विज्ञान स वस्तुनिष्ठ प्रश्न पूछल जाएत। नियमावली मे प्रावधान कैल गेल अछि जे जाहि विभाग स रिक्ति कए भरबा लेल अधियाचना आयोग कए पठा देल गेल अछि आ विज्ञापन नहि प्रकाशित भेल अछि बा विज्ञापन प्रकाशित भ गेल अछि ओकर परीक्षा नहि भेल अछि, ओ तमाम प्रक्रिया कए स्थगित करैत नव नियमावली क तहत नियुक्ति क प्रक्रिया पूरा कैल जाएत। एखन धरि ग्रामीण विकास, आपूर्ति, राजस्व एवं भूमि सुधार, कल्याण विभाग, उद्योग, श्रम संसाधन विभाग, योजना विभाग, कार्मिक विभाग, सहकारिता व समाज कल्याण विभाग स रिक्ति क ब्योरा प्राप्त भेल अछि। अन्य विभाग स रिक्ति क ब्योरा प्राप्त करबा लेल कार्मिक विभाग क उपसचिव कए जिम्मा देल गेल अछि। जाहि पद पर नियुक्ती होएत ओहि मे सचिवालय सहायक, आपूर्ति निरीक्षक, अंचल निरीक्षक, कानूनगो, सहायक परियोजना पदाधिकारी, कनीय सांख्यिकी सहायक, ग्राम पंचायत पर्यवेक्षक, प्रखंड कल्याण पदाधिकारी, प्रखंड श्रम प्रवर्तन पदाधिकारी, प्रखंड उद्योग प्रसार पदाधिकारी, सहायक अंकेक्षण पदाधिकारी, प्रखंड सहकारिता प्रसार पदाधिकारी, सांख्यिकी पर्यवेक्षक आ वरीय सांख्यिकी पर्यवेक्षक शामिल अछि। हैं. एकरा लेल शैक्षणिक योग्यता स्नातक पास निर्धारित कैल गेल अछि। एहि तरह स सचिवालय सहायक निम्नवर्गीय लिपिक, क्षेत्रीय कार्यालय मे निम्नवर्गीय लिपिक, पंचायत सचिव, राजस्व कर्मचारी, मुर्हीर, प्रतिलिपिक, सर्वेयर, सांख्यिकी लिपिक,महिला पर्यवेक्षिका आ विपत्र लिपिक क पद सेहो भरल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments