जुलाई स चालू होएत पाटलिपुत्र जक्शन

पटना । पाटलिपुत्र जक्शन रेल परिचालन लेल तैयार अछि आ अगिला मास स एहि ठाम स ट्रेनक परिचालन शुरू भ जाएत। रेलवे बोर्ड पूर्व मध्य रेल कए एकर अनुमति द देलक अछि। दानापुर रेल मंडल प्रबंधक एलएम झा कहला अछि जे जून माह क अंत बा जुलाई माह क प्रथम सप्ताह मे पाटलिपुत्र स्टेशन स रेल परिचालन शुरू भ जाएत। एकर तैयारी प्रारंभ क देल गेल अछि। शुरूआत सवारी गाडी स होएत। झाझा आ बक्सर क ट्रेन एहि ठाम स खुलत। ओ कहला जे एखन तय नहि भ सकल अछि जे एहि ठाम स आर कोन कोन गाड़ी कए चलाउल जाएत। ओ कहला जे पाटलिपुत्र स्टेशन क महत्व दीघा-सोनपुर रेल सह सड़क पुल बनलाक बाद बढ़ि जाएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments