जुड-शीतल पर भेटल सनेस : कोसी पुल स गुजरल पहिल बस

दरभंगा । कोसी महासेतु क उदघाटन भेलाक बावजूद एहि पुल स एखन धरि कोनो बस नहि गुजरल छल। पुल खुललाक बाद एहि दिनक सब बाट ताकि रहल छल जे कहिया मिथिला क दूनू भाग कए यात्रा सुगम बनेबा लेल बस सेवा शुरू होएत। जुड-शीतल क अवसर पर बिहार राज्य पथ परिवहन निगम रविदिन दरभंगा स वीरपुर लेल बस सेवा क शुरुआत क देलक। दरभंगा बस स्टैंड क अधीक्षक नरेश झा क अनुसार आइ स शुरू भेल हाईटेक बस दरभंगा स वीरपुर लेल रोज भोरे सात बजे विदा होएत आ दिन कए 12 बजे वीरपुर पहुंचत। तहिना वीरपुर स दरभंगा लेल सांझ 6 बजे खुजत आओर राति 11 बजे दरभंगा पहुंचत। इ बस राति 11 बजे पटना लेल सेहो प्रस्थान करत। एहि प्रकार स देखल जाए त इ सेवा पटना स वीरपुर तक अछि। जाहि मे दरांगा आ वीरपुर क बीच झंझारपुर, फूलपरास, भुतहा ,निर्मली आ सिमराहीक लोक सेहो बस क सेवा ल सकैत अछि। एहि बस क भाडाक संबंध मे जानकारी दैत श्री झा कहला जे दरभंगा स वीरपुर – 81 टका, निर्मली – 57 टका, भुतहा -53 टका आ सिमराही -61 टका राखल गेल अछि। निश्चित रूप स एहि बस सेवाक शुरू भेला स लोक कए अपार खुशी भ रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Bahut neek samaad. Ehina Mithilak anya sahar sabh jena Purnea, Katihar, Saharsa, Madhepura, Araria adi sa seho Darbhanga, Madhubanik Bus sevak avasyakta achhi.

Comments are closed.