जितवारपुर मे मधुबनी आर्ट गैलरी क शिलान्यास

1
53
esamaad maithili newspaper

मधुबनी। ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्र रहिका प्रखंड क जितवारपुर गाम स्थित भास्कर कुलकर्णी हस्तकला आश्रम मे मधुबनी आर्ट गैलरी क शिलान्यास केलथि। एहि अवसर पर ओ कहला जे जितवारपुर मे 99 लाख क लागत स मिथिला चित्रकला क प्रदर्शनी केंद्र खुलत। इ केंद्र 6 मास मे बनि कए तैयार भ जाएत आओर एहि केंद्र मे पर्यटक क ठहरबा लेल किछु कोठली सेहो बनाउल जाएत। श्री मिश्र कहला जे केंद्र मे सबटा आधुनिक सुविधा उपलब्ध रहत। ओ कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए मिथिला आ एहि ठामक संस्‍कृति स बड लगाव अछि। ओ एहि ठामक विकास लेल बहुत योजना तैयार करबा रहल छथि। एहि अवसर पर स्थानीय विधायक डा. फैयाज अहमद कहला जे जितवारपुर गाम मिथिला क गौरव अछि।

Comments

comments

1 COMMENT

  1. Nitish Bhaiya je kahlaith Jitwarpur me, yadi o kaj purn bhay jayat t ekta naya manch bhetat MITHILA PAINTING k. Bhaiji lagal rahu……

Comments are closed.