जिंदल क शर्त मे फंसल इन्द्रपुरी परियोजना

पटना। आब निजी क्षेत्र मे प्रस्तावित इन्द्रपुरी जल विद्युत परियोजना जिंदल पावर क शर्त स फंसि गेल अछि। जिंदल क शर्त अछि जे जलाशय क निर्माण राज्य सरकार अपन स्तर स करए। एकर बाद ओ 450 मेगावाट क्षमता क जल विद्युत परियोजना आ सुपर थर्मल कए दूटा यूनिट स्थापित करत। एहि परियोजना कए दू दशक पूर्व राष्ट्रीय जल विद्युत निगम द्वारा स्थापित हेबाक छल मुदा योजना कए मूर्त रूप नहि देल जा सकल। जल संसाधन विभाग योजना क महत्व कए देखैत एकरा निजी क्षेत्र मे मूर्त रूप देबा लेल निवेशक तकबाक जिम्मा बिहार राज्य जल विद्युत निगम (बीएचपीसी) कए देलक। बीएचपीसी परियोजना स्थापित करबा लेल एज इट इज क आधार पर निविदा प्रकाशित केलक। एहि मे टाटा पावर, रिलायंस, कल्पतरु आ जिंदल पावर सहित कईटा कम्पनी भाग लेलक। जिंदल क चुनाव भेल मुदा बाद मे पता चलल जे ओ जल विद्युत परियोजना स बेसी कैमूर मे थर्मल पावर स्थापित करबा लेल प्रयासरत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments