जापान करत बिहार क मदद

नई दिल्‍ली। जापान बिहार में कृषि क विकास में खासकए कृषि उत्पाद कए बाजार तक पहुंचेबा मे आधारभूत संरचना आ लॉजिस्टिक सुविधा मुहैया करेबा लेल तैया भ गेल अछि। जापान क प्रधानमंत्री योशिहिको नोडा बिहार क संबंध मे करीब आधा घंटा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स गप केलथि। नीतीश कुमार असगर मुख्यमंत्री रहलाह जिनका स भारत दौरा पर आयल जापान क प्रधानमंत्री अलग स भेंट केलथि। एहि बैसार मे मुख्‍यमंत्री हुनका बिहार एबा लेल निमंत्रित सेहो केलथि। जेकरा ओ स्वीकार करैत कहला अछि एहि बेर त संभव नहि मुदा अगिला भारत दौरा मे ओ बिहार जरूर जेताह। नोडा कहला जे ओ बिहार मे हाल मे भेल विकास स बहुत प्रभावित छथि आ आगू बढैत बिहार कए हर संभव सहायता देबा लेल तैयार छथि। जापान क प्रधानमंत्री कहला जे बिहार मे निवेश क काफी गुंजाइश अछि आ जापान एकरा लेल तैयार अछि। ओ कहला जे बिहार कए फूड प्रोसेसिंग तकनीक में मदद क संगहि पर्यटन क विकास में सेहो मदद क आश्वासन देलथि। उल्लेखनीय अछि जे जापान क सर्वाधिक पर्यटक बिहार क बौद्घ सर्किट मे अबैत छथि। नोडा मुख्यमंत्री कए विश्वास देलथि जे ओ नालंदा अंतरराष्ट्रीय विश्वविद्यालय कए आर्थिक सहायता देबाक संगहि एकरा बौद्धिक आ ज्ञान क स्तर पर सेहो मदद देताह। इंडो-जापान आर्थिक सहयोग क तहत जापान पहिने स बिहार में कईटा परियोजना में निवेश करि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments