जानकी नवमी पर बांटल गेल श्रवण कुमार पुरस्‍कार


पटना। माइ-बाप क संग अन्याय आब बिहार मे संभव नहि भ सकत। एक कात जतए माइ-बापक सेवा करनिहार संतान कए श्रवण कुमार पुरस्‍कार स सम्‍मनित कैल जा रहल अछि ओतहि इ सेहो आश्‍वासन देल जा रहल अछि जे माइ-बाप कए कष्‍ट देनिहार संतान कए दंडित करबाक सरकार सरकार प्रावधान करै जा रहल अछि। जानकी नवमी क अवसर पर राज्‍यक उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी पहिल श्रवण कुमार पुरस्कार वितरित केलथि। एहि अवसर पर ओ कहला जे माता पिता क सेवा ईश्र्वरीय आराधना स कम नहि अछि। नव पीढ़ी कए अपन सांस्कृतिक परंपरा क आदर्श मूल्‍य कए आत्मसात करबाक चाहिए। महावीर मंदिर मे आयोजित एहि समारोह मे जहानाबाद जिलाक शिव कुमार केसरी कए श्रवण कुमार पुरस्कार श्रृंखला क तहत 1 लाख क पहिल पुरस्कार, मधुबनी क उदय कुमार झा कए 50 हजार क दोसरा पुरस्कार, तुफैल अहमद कए 25 हजार क तेसर पुरस्कार देल गेल।
एकर संगहि वृद्धजन क प्रति संवेदनशीलता देखबैत सरकार आब एकटा एहन नीति कए अंतिम रूप देबा मे लागल अछि जाहि स सरकारी कर्मी अपन माइ-बाप आ साउस-ससुर क सेवा क लेल दू साल पर एक बेर पंद्रह दिनक सवैतनिक अवकाश ल सकताह। समाज कल्याण विभाग क एहि प्रस्ताव कए सरकार क अनुमोदन भेट गेल अछि। वित्त विभाग क स्तर स एकरा लेल कहियो अधिसूचना जारी कैल जा सकैत अछि। समाज कल्याण विभाग क प्रधान सचिव वीके वर्मा एहि योजना क तहत इ प्रावधान कैल जा रहल अछि जे बिहार सेवा संहिता क तहत अवकाश नियमावली मे एकरा नव प्रकार क रूपांतरित अवकाश मे शामिल करि देल जाए। इ सुविधा सब कोटि क सरकारी कर्मी कए एक समान रूप स भेटत। वर्मा कहला जे प्रदेश क पांचटा जिला क्रमश: गया, पटना, मुजफ्फरपुर, भागलपुर आ दरभंगा मे वृद्धाश्रम स्थापित करबाक कार्रवाई चलि रहल अछि। भवन निर्माण विभाग एकर नक्शा सेहो तैयार करि लेने अछि। एकर संगहि मानसिक रूप मे मंद बच्‍चा क लेल सरकार प्राथमिकता क आधार पर स्कूल शुरू करत। मार्च 2012 तक कम स कम दूटा स्कूल शुरू भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments