जानकी नवमी पर जनकपुर मे विस्‍फोट


रमानंद चौक पर भेल विस्‍फोट
अभिनेत्री रंजना झा समेत चारि गोटेक गेल जान
मिथिला राज्यक लेल चलि रहल छल धरना
भारत-नेपाल सीमा सील, छापामारी जारी
जनतांत्रिक तराई मुक्ति मोर्चा लेलक जिम्‍मेदारी

जनकपुर/ दरभंगा। उत्‍साह आ उमंग स जानकी नवमी मनेबाक मनोरथ रखले रही गेल। जनकपुर क आंखि आइ मैथिली क शहादत पर नोरायल रहल। मिथिलाक राजधानी जनकपुर मे सीता नवमी क भोर भेल एकटा भीषण बम विस्‍फोट मे चारि गोटे क मौत भ गेल, जखन कि 30 गोटे स बेसी घायल भ गेलथि जाहि मे 14 गोटेक हालत नाजुक बनल अछि। जानकारीक अनुसार जनकपुर क रामानंद चौक पर बम विस्फोट भेल। ओहि ठाम मिथिला राज्य संघर्ष समिति क कार्यकर्ता अलग मिथिला राज्य क मांग क समर्थन मे धरना द रहल छलथि। बम धरनास्थल लग ठार मोटरसाइकिल मे राखल गेल छल। ओना इ पता नहि चलल अछि जे बम के रखने छल, मुदा पुलिस एकटा युवक स पूछताछ क रहल अछि। स्‍थानीय मीडिया स आबि रहल सूचना क अनुसार एहि विस्फोट लेल जनतांत्रिक तराई मुक्ति मोर्चा नामक संगठन जिम्‍मेदारी ल लेलक अछि। पुलिस लेल इ एकटा अनजान संगठन अछि। प्राप्त सूचनाक अनुसार किछु घायल कए इलाज लेल विमान स काठमांडू पठाउल गेल अछि। एहि बीच नेपाल-भारत सीमा सील क देल गेल अछि।
अधिकारी क कहब अछि जे इ विस्‍फोट धनुषा जिला क जनकपुर नगरपालिका क रामानंद चौक पर भेल। इ विस्फोट मिथिला कार्यकर्ता क धरना कए निशाना बना कए कैल गेल छल। इ कार्यकर्ता सब नेपाल क नव संविधान मे पृथक मिथिला राज्य क गठन क प्रावधान करबाक मांग क रहल छथि। एहि विस्फोट मे मैथिली फिल्‍म अभिनेत्री रंजना झा सहित तीन गोटे क मौका पर मौत भ गेल जखनकि एक अन्य उपचार क दौरान दम तोडि देलथि। रंजना क मौत क खबरि आगि जेकां मिथिला मे आइ भरि दिन धधकैत रहल। जिनगी भरि मैथिली क सेवा मे लागल रंजू आइ मिथिला क अस्तित्व लेल सीता जेकां पृथ्वी मे समा गेलीह। फिल्‍म मुखियाजी क अभिनय लेल हुनका समस्‍त मिथिला क आशीष भेटल छल। काठमांडू मे अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मलेन आ दिल्ली मे मिनाप क नाटक “ओ खाली मुँह देखैत छै” क मंचन मे सेहो हुनक सहभागिता उल्‍लेखनीय रहल अछि। हुनकर शहादत स मैथिली कला क्षेत्र आ मिथिला-मैथिली आन्दोलन कए बड आघात पहुंचल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

7 टिप्पणी

  1. Ahi samachar me kahal je madhesi rajya galat aich ohi dharna me Mithila rajyak demand rahe.Ekra kripya sudharal jai.

    • Mithila’s liberation can only be achieved through Maoism. I am a maithil and therefore, a Maoist. Long live Chairman Mao!Jay Mithila!

  2. Mithila’s liberation can only be achieved through Maoism. I am a maithil and therefore, a Maoist. Long live Chairman Mao!Jay Mithila!

  3. एकटा दुखद समाचार , मात्र बम बिस्फोट किछु गोटाक छाती नहि छलनि भेल ई तँ मैथिल पर प्रहार थिक आ मैथिलकेँ एकर जवाब दिअ अबैत छैक। सीताक धरती पुत्र छलीह आ रंजु सेहो सीता जेकाँ धरती मे समा गेलीह हुनक आत्माकेँ शान्ति दैत हुनक एहि शहादकक मू्ल्य निश्चित मिथिलावासी देत ई हुनका प्रति श्रद्धांजलि।

  4. मिथिला राज्यलेल देल गेल शहादत सम्पूर्ण मिथिला समाज सभ दिन यादि राखि प्रेरणा लेत रहत।
    जय मिथिला

  5. Shahadat prapt kenihaar sabh ke shradhanjali. Jahi udesya ke vaaste e lokani apan jaan nyochhawar kelani se nischit pura hetainha, se asha achhi.

Comments are closed.