ज़ब्त बंगला मे खुलल पहिल सरकारी स्कूल


पटना । शिव शंकर वर्मा क दू मंज़िला जब्त मकान मे देशक पहिल सरकारी स्कूल खुलि गेल। ज़िला प्रशासन रविदिन एकरा सील केने छल। आइ स एहि मकान मे कमज़ोर तबकाक बच्चा सब पाठ सिखलक। आय स बेसी संपत्ति रखबाक मामला मे बिहार विशेष न्यायालय अधिनियम क तहत अभियुक्त बनाउल गेल अधिकारी शिव शंकर वर्मा क इ मकान एकटा इतिहास भ गेल। मुख्यमंत्री क कहब अछि जे एहि स भ्रष्ट लोक मे कनियो त डर जरूर पैदा भेल होएत। ओतहि नीक स्कूलक चाह रखनिहार आ स्कूल भवन कए तरसैत ग़रीब बच्चा मे ख़ुशी क संग उम्मीद जगल होएत।
एहि मकान मे स्कूल खोलबाक फैसला कोनो कानूनक तहत नहि बल्कि इच्छाक तहत लेल गेल अछि। दरअसल नीतीश सरकार क इ फ़ैसला अछि जे नव अधिनियम क अंतर्गत ज़ब्त मकान प्राथमिकता क आधार पर ओहि क्षेत्र क भवनविहीन स्कूल कए सौंप देल जाएत।
एहि फ़ैसला पर अमल क पहिल उदहारण बनल अछि पटना क रुकुनपूरा मोहल्ला क इ मकान, जाहि मे आइ स ‘मुसहरी प्राथमिक विद्यालय’ नाम स खोलल गेल स्कूल मे दलित आ अन्य कमज़ोर वर्ग क 94टा बच्चा क दाख़िला भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments