जलजमाव स निजात क लेल 150 करोड़ टका क योजना तैयार


दरभंगा। दरभंगा शहरी क्षेत्र कए जलजमाव स निजात दिलेबाक पहल शुरू करि देल गेल अछि। एकरा लेल पीएचईडी विभाग क ओर स 150 करोड़ टका क लागत स योजना तैयार करि लेल गेल अछि। इ राशि स पूरा शहरी क्षेत्र स जलजमाव क निकासी कएल जाएत। दोसर दिश दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल कए जलजमाव स मुक्ति दिलेबाक सेहो कोशिश कएल जाएत। वर्षा हेबा पर शहर मे निकलबाक मुश्किल भ जाइत अछि। अगर इ योजना पर अमल भ जाए, त शहर क लोक कए नारकीय जीवन स मुक्ति भेट सकत। विभाग क ओर स ड्रेनेज क निर्माण क लेल निविदा निकालल जा चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments