जयमुनि क भेल जय, दोबारा बनतीह सभापति

सीतामढ़ी। नगर परिषद क पदच्यूत सभापति जयमुनि देवी आ उपसभापति आशा देवी दोबारा अपन पद पर काबिज हेतीह, जखनकि नगर परिषद अध्यक्ष मो जलालुद्दीन आ उपाध्यक्ष संजय कुमार महाजन क कुर्सी जाएत। पटना उच्च न्यायालय एहि मामला क सुनवाई क बाद इ ऐतिहासिक फैसला द कए जिला क राजनीति मे उबाल आनि देलकअछि। पटना हाईकोर्ट क अधिवक्ता शशिभूषण कुमार मंगलम द्वारा जयमूनी देवी कए फैसला क प्रति पठा देल गेल अछि। बता दी जे जयमुनि देवी आ आशा देवी क विरुद्ध अविश्वास प्रस्ताव आनि कए पिछला चारि अगस्त कए पद स हटा देल गेल अछि आ मो जलालुद्दीन सभापति क पद हासिल केने छलाह। जयमुनि अविश्वास प्रस्ताव क खिलाफ उच्च न्यायालय मे एकटा याचिका दायर केने छलीह, जेकर सुनवाई क बाद न्यायालय इ फैसला देलक अछि। न्यायालय अपन टिप्पणी मे जयमुनी देवी पर अविश्वास प्रस्ताव लगेबाक डीएम क स्वीकृति कए बिहार पंचायती राज अधिनियम क तहत गलत करार देलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments