जयनगर स कुर्था तक अक्‍टूबर मे चलत रेल, अयोध्‍या स जनकपुर भाया सीतामढी यात्रा अगिला साल स

विनीत ठाकुर  
मधुबनी। मधुबनी जिला अंतर्गत अवस्थित जयनगर से नेपाल नव निर्मित सिंगल रेलवे लाइन पर अक्टूबर से ट्रेन परिचालन शुरू होयत। विदित अछि जे पहिने जयनगर से मात्र जनकपुर तक छोटी लाइन क ट्रेन चलैत छल जकरा बड़ी लाइन मे अमान परिवर्तन  कए वर्दीवास तक विस्तारित कयल जा रहल अछि। 69 कि. मी. लम्बाई क एहि परियोजना क लागत 800 करोड़ अनुमानित अछि। परियोजना क तीन कि.मी. भारत मे आ 66 कि.मी. नेपाल मे बनत। पहिल चरण मे जयनगर से कुर्था तक  35 कि.मी मे पटरी बिछेबाक काज तेजी से चलि रहल अछि। अक्टूबर मे ट्रेन ट्रायल पूरा केलाक पश्चात नियमित रूपेँ परिचालन शुरू कयल जायत।दोसर चरण मे कुर्था- विजलपुरा ट्रेन सेवा 2019 मे शुरू होयत। अन्त मे विजलपुरा- वर्दीवास खंड मे ट्रेन सेवा 2021 मे शुरू होयत आ परियोजना पूर्ण भ जेतैक।
 नेपाल क लेल जयनगर सँ ट्रेन परिचालन हेतु जयनगर मे एक अलग स्टेशन बनाओल गेल अछि। स्टेशन भवन, प्लेटफार्म, फुटओवर ब्रिज क निर्माण कार्य पूरा भ गेल छैक। यात्री क सुबिधा हेतु भवन क ऊपर पानि क टंकी आ बैसबा हेतु सिटिंग चेयर क व्यवस्था छैक। अन्य सुबिधा सब सेहो बढ़िया कयल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें

Please enter your comment!
Please enter your name here