जयनगर- जनकपुर क बीच ट्रेन क परिचालन बंद

जयनगर (मधुबनी)। पड़ोसी राष्ट्र नेपाल मे माओवादी क रविवार स शुरू तीन दिवसीय राष्ट्रव्यापी बंद क मद्देनजर सुरक्षा कारण स जयनगर- जनकपुर रेलखंड पर तीन दिन क लेल ट्रेन क परिचालन बंद करि देलक ेगेल अछि। एहि स भारत आ नेपाल एबा-जेबा लेल तैयार लोक कए परेशानी बढि़ गेल अछि। एहि ठाम स नेपाल जेबा लेल ट्रेन सर्वसुलभ साधन अछि। नेपाली रेल सूत्र कहैत अछि जे बुधदिन स एहि रेलखंड पर ट्रेन क परिचालन पुन: प्रारंभ करि देल जाइत। ट्रेनक परिचालन बंद भेला स जयनगर स्टेशन पर दिन भरि जनकपुर जेबा लेल ठार लोक भटकते रहल। कईटा लोक सड़क मार्ग स जनकपुर रवाना भेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments