जयनगर आ बेतिया मे लागि रहल अछि गैस आधरित बिजली प्लांट

पटना। बिहार कए रोशन करबा लेल आब राज्य सरकार गैस पर आधारित बिजली घर क सहारा ल रहल अछि। दरअसल, कोल लिंकेज भेटबा मे देरी आ गंगाजल क इस्तेमाल पर केंद्र सरकार क तेवर क कारण राज्य मे कोयला पर आधारित ताप बिजली घर लगेबा मे दिक्कत भ रहल अछि। उद्योग विभाग क प्रधान सचिव अशोक कुमार सिन्हा क कहब अछि,’कोल लिंकेज देबा मे केंद्र सरकार क दिस स काफी देर भ रहल अछि, ताहि कारण सरकार गैस आधारित बिजली घर कए बढ़ावा देबाक फैसला लेलक अछि। सबस गप इ जे इ बिल्कुल साफ ईंधन होइत अछि संगहि एकरा स्थापित करबा लेल पैघ इलाका क जरूरत सेहो नहि होइत अछि। एकरा लगेबा मे काफी बचत होइत अछि।Ó सिन्हा कहला जे एहि बारे मे हमारा लग कईटा प्रस्ताव आएल अछि आ ओहि पर हम काज सेहो करि रहल छी। सबस पैघ प्रस्ताव नई दिल्ली स्थित फॉक्स पेट्रोलियम आ गेल क अछि।Ó फॉक्स पेट्रोलियम क योजना बिहार क 38 जिल मे 38टा बिजलीघर बनेबाक अछि, जाहि स 1,140 मेगावॉट बिजली क उत्पादन भ सकत। सिन्हा कहला, ‘हालांकि, हम हुनका सलाह देलहुं अछि जे एतबा बिजलीघर कए स पहिने कि छु खास जगह पर 5-6 टा बिजलीघर बनाउ।Ó ओना, कंपनी क अध्यक्ष अजय कुमार अपन योजना पर कायम छथि। ओ कहला जे हमर कंपनी अपन योजना पर कायम अछि। हम राज्य क हर जिला मे एकटा बिजली घर क निर्माण करब। हर बिजलीघर क संग एकटा अस्पताल क सेहो निर्माण करब।Ó एहि योजना पर पर कंपनी करीब 8,000 करोड़ टका निवेश करबा लेल तैयार अछि।
राज्य सरकार स सहयोग क मुद्दा पर कुमार क कहब अछि, ‘हमरा एहि मामला मे राज्य सरकार आ उद्योग विभाग क पूरा साथ भेटल अछि। मिला है। कखनो हमरो इ विश्वास नहि होइत अछि जे बिहार मे इ प्रस्ताव पास करवेबा मे मात्र 15 दिन क समय लागल।Ó कुमार कहला, ‘हम पहिने मधुबनी क जयनगर इलाका मे पावर प्लांट लगा रहल छी। एकर बाद दरभंगा आ फेर गया क दिस जाएब। निजी जमीन कए हासिल करबा मे कनी दिक्कत आबि रहल अछि। एक बेर इ दिक्कत दूर भ जाए, फेर 18 महीना मे हमर पावर प्लांट बनिकए तैयार भ जाएत। एकरा लेल हम एलएनजी आ एलपीजी क इंतजाम सेहो अपने करब।Ó एकर अलावा, गेल सेहो इफको क संग मिलिकए बेतिया मे गैस आधारित बिजलीघर बना रहल अछि। एकर क्षमता करीब 250 मेगावॉट अछि। एहि परियोजना कए पिछला साल गेल क बोर्ड स सहमति भेट चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments