जब्त हथियार बनल खेती क औजार

पटना। बिहार मे जब्त हथियार कए पिघलाकए खेती आ बागवानी क औजार बनाउल जा रहल अछि। बिहार क पुलिस महानिदेशक अभयानंद क निर्देश पर दरभंगा मे पायलट प्रोजेक्ट क तौर पर हथियार कए नष्ट कैल गेल अछि। दरभंगा मे हथियार कए पिघला कए औचार बनाउल गेल अछि। जानकारीक अनुसार पिस्टल स झाड़ी काटबा लेल कैंची तैयार कैल गेल अछि। हथियार कए मजिस्ट्रेट क उपस्थिति मे पिघलाउल गेल आ एकर वीडियोग्राफी सेहो कैल गेल अछि। पुलिस महानिदेशक क कहब अछि जे बिहार पुलिस इ नव प्रयोग शुरू केलक अछि। पहिल बेर एहन प्रयोग दरभंगा मे कैल गेल अछि। एखन दरभंगा मे पिघलाउल गेल हथियार स केवल छोट औजार बनाउल गेल अछि। इ हथियार प्रदेश क विभिन्न थाना मे बहुत दिन स राखल अछि। हथियार कए पिघलाकए इ संदेश देत जे एकर प्रयोग आब ककरो मारबा लेल नहि कैल जा रहल अछि। अभयानंद कहला अछि जे हथियार स बनाउल गेल औजार स लोक कए जीविका चलेबा मे मदद भेटत। एकर लेल संबंधित कोर्ट स अनुमति भेटलाक बाद राज्य क थाना क स्टोर मे राखल सैकड़ों जब्त हथियार कए नष्ट कैल जाएत। पुलिस कए इ सेहो डर अछि जे किछु समय बाद थाना मे राखल हथियार क गलत प्रयोग भ सकैत अछि। एहि कारण एकरा नष्ट करब उचित कदम अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments